Thursday, May 14, 2015

मारपिटमे रौतहटमे एकगोटेके मृत्यु

रौतहट, बईशाख ३१। जमिनके विवादमे परके रौतहटमे विफेके दिन एक गोटेके जान गेल हए । रौतहटके सरमुजवा वडा नं. ५ के बद्रि बैठा आ क्रित किसोर बैठा, बृज किसोर बैठा, लक्ष्मण बैठा, दशै बैठा बीच जग्गाके सिमानके बिषयमे भेल बिबादके वाद भेल मार पिटमे बद्रि बैठाके हत्या भेल सामाचार प्राप्त भेल हए ।  
                 उनकर हत्या भेलावाद भारत ओर भाग रहल क्रित बैठा, बृज किसोर बैठा आ दशै बैठा लाई प्रहरी नेपाल भारत सिमानके नजदिकसे पक्राउ कएले हए ।  जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहटके एसपी सानुबाबु थपलियाके अनुसार मारपिटमे मृत्यु भेल जानकारी मिलते पीडक के पक्राउ करेमे सफल भेल रहे । घटनाके अनुसन्धान होरहल एसपी थपलीया बतएलन ।  

No comments:

Post a Comment