Tuesday, December 24, 2013

असुरक्षित गर्भपतनके कारण महिलाको मृत्यु

दिनेश यादव  / गौर /  असुरक्षित गर्भपतनसे महिलाके मृत्यु होएके प्रथा जइसनके तइसन ही रहल हए । शिक्षा आ चेतनाके अभावमे सुरक्षित तवरसे नकरएलापर भागताके साथ जेनेतेने असुरक्षित गर्भपतन करएलासे केतना महिलाके अल्पाउमे मृत्यु होरहल हए ।
सरकारी स्तरसे तथा गैर सरकारी स्तरसे प्रचार प्रसारके नाममे लाखो करोडो खर्च होरहला पर भी असुरक्षित गर्भपतन करावेके कार्य नियन्त्रण होएनसकल हए ।  स्थानिय कटहरिया गाविसके  एगो ४५ बरिसके महिलाके गर्भपतनके कारण मृत्यु भेल हए ।
कटहरिया ४ के भरोस  राउत कुर्मीके पत्नी ४५ बर्षिय सोनादेवीके गर्भपतनके कारण कुच्छ दिन पहिले मृत्यु भेल स्थानियसव बतएले हए ।  ६ गो बेटा बेटीके मतारी सोनादेवी कुच्छ  महिना पहिले गर्भवती भेल रहे । पुतोह समेत घरमे लियावे सकल सानादेवीके गर्भ ठहरलावाद उनका लोकलाज बहुत सतएलक  ।
गर्भ ६।७ महिनाके वाद आसपरोसके महिलासव सोनादेवीके बुढारीमे ई किकएलक कहके  जिस्कावे लागल रहे । कओनो गर्भके वारमे बात करते सोनादेव गारी समेत कएल उनकर पति भरोस   राउत बतएलन । गर्भके बारेमे केकरो नकहके स्थानिय सुडेनीसाथे पाठयघरमे जडीबुटी राखके गर्भपतन करएलन ।
गर्भपतनके कारण अत्यधिक रक्तश्राव होके मृत्य भेल  पिडीत परिवार जनएले हए । सोनादेवीके अल्पाउमे भेल मृत्य  राउत परिवारमे दुखके लम्हर  पहाड टुटल हए । घरके समपुर्ण आर्थिक कारोवार करके जिम्मा ओरे उपर रहलासे उनकर लाखो रुपैया उठे नसकल  पिडीत परिवारके कहनाम रहल हए । कटहरिया, फतेपुर, बगही, हँथियाही लगायतके  उ क्षेत्रमे  परेवाला सब बजारसवमे ब्यापार करके साहुकेमे जम्मा कएले करिब एकलाख रुपैया कच्छ गहना समेत डुबल  पिडीत राउत सिकाइत कएलन ।
समयमे जानकारी करएलले रहइत त जाचकराके अच्छा करइती लेकिन केकरो जानकारी नकरएलासे कुच्छा करेन सकली मृतकके बेटा बेला राउतके कहनाम रहल हए । एसेपहिले  कनकपुर गाबिसके एगो चौधरी जातके महिलाके गभेपतनके कारण मृत्यु भेल रहे । कनकपुर ४ के जसोधा चौधरिनीके मृत्यु भेल स्थानियसव बतएले हए ।
अशिक्षा आ चेतनाके अभावमे अभिभी जिल्लाके ग्रामीण भेगमे असुरक्षित गर्भपतन करावेके प्रथा जइसनके तइसन रहल हए । गर्भपतनके सरकार मान्यता देलावाद पति पत्निके सलाह अनुसार मेरीस्टोप सेन्टर लगायतके स्थानमा सुरक्षित गर्भपतन करावके व्यवस्था कएल गेल हए । लेकिन ग्रामिण भेगके अधिकांस आदमीसव ओइसन केन्द्रसवमे नजाके सुडेनी, भगता आ  सिमावर्ती भारतिय बजारसवमे जाके गर्भपतन करएलासे समय समयमे महिलासवके मृत्यु होइत गेल  स्थानिय समाजशेवी बिधासागर यादव बतएलन ।
अस्पताल आ मेरिस्टोपमे गेलापर गाओपरोसीके पताहोएके डरसे भी गारजियन असुरक्षित तरिकासे गर्भपतन करवइत आएल यादवके कहनाम रहल हए ।
नेशनल मेडिकल कलेज बिरगंजके डाक्टर बिशवनाथ साह असुरक्षित गर्भपतनसे मृत्यु होनाई तिनगो          कारण रहल बतएलन । अत्यधिक रक्तश्राव, पाठयघर संक्रमित होनाई आ पाठयघरमे घाओखत लागल  महिलाके मृत्यु होइत आएल डाक्टर साह बतएलन ।

No comments:

Post a Comment