Monday, June 29, 2015

जिलाके उत्कृष्ट छात्रा निर्मल यादवके विज्ञान पढेके चाहना

राजेशबर पाण्डेय 
गरुडा
एसएलसी परीक्षा २०७१ मे रौतहटसे सम्मिलित सभी परीक्षार्थीसे बेसी नम्बर लेआके पास होएबाला छात्रा निर्मल यादव विज्ञान विषय लेके पढेके इच्छा व्यक्त कएले छत । रौतहटके गरुडा नगरपालिकास्थित न्यु डिभाइन लाइट इंग्लिस बोर्डिङ स्कुलसे एसएलसी परीक्षामे सहभागी होके ८०० पूर्णाङ्कके परीक्षामे ७१० नम्बर लेआके जिलामे उत्कृष्ट बनल दीपही निवासी शिक्षक राजेश कुमार यादवके लडकी निर्मल यादव काठमान्डुमे विज्ञान पढेके इच्छा रखइत भविष्यमे निजामती सेवामे प्रवेश कके देशके सेवा करेके चाहना व्यक्त कएले छत । स्कुलके समयके अलावा हर दिन कम्तीमे आठ घन्टा पढाइके लेल देबेबाला छात्रा निर्मल ८८.७५ प्रतिशतके नम्बरके साथे रौतहट जिलामे सबसे बेसी नम्बर लेआबेबाला परीक्ष्ाँर्थी बनलापर अपनाके खुसी लागल बतबइत अइसन सफलतामे माई–बाबु, शिक्षकजनके साथे अपन मेहनत मुख्य कारक रहल बतएलन् । घरके वातावरण आ स्कुलके वातावरणके साथे प्रतिभावान विद्यार्थी होएलापर साधारण स्कुलके छात्रा भी जिलामे फस्ट होसकेके उदाहरण निर्मल बनलासे गौरवान्वित महसुस होरहल छात्रा निर्मलके प्रिन्सिपल विक्रम यादव जानकारी करएले छत । कक्षा १ से १० तक हरदम प्रथम स्थान प्राप्त करते आरल निर्मल सफलतामे अपन मेहनत भी बहुत काम कएले छात्राके पिता राजेश कुमार यादव बतएले छत । जिलामे बहुते विद्यार्थी फेल भेलापर अपनाके दुख लागल कहइत हौसला राखके फेरसे मेहनत करेके सलाह निर्मल देले छत ।

No comments:

Post a Comment