Monday, August 10, 2015

संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चा द्वारा बृहत अन्तरक्रिया कार्यक्रम सम्पन्न , साथे जराबल गेल मधेश बिरोधि सम्झौता पत्र

चंचल कुमार झा 
 गौर रौतहट l साओन २४ l संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चा के आई बृहत अन्तरक्रिया कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए l मोर्चा के नेता एवम तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टी के रौतहट जिल्ला अध्यक्ष बाबु लाल साह के अध्यक्षता मे भेल अन्तरक्रिया कार्यक्रममे सरोकारवालासब आख्नी के संबिधान निर्माणके प्रक्रिया प्रारम्भिक मस्यौधा आ मधेश आन्दोलनके सन्दर्भ मे बाट चित भेल हए l नेपाल सदभावना पार्टीके केन्द्रिय अध्यक्ष अनिल कुमार झा के प्रमुख आतिथ्यमे भेल कार्यक्रममे बोलेबाला बक्तासब मधेश आन्दोलन अपरिहार्य जरुरु रहल बतएले रहलन l अख्निके मस्यौधा मधेशी के अधिकारविहीन बनाबेके षड्यन्त्र रहल कहईत बक्तासब अब सडकसे ही अधिकार सुनिशिचित होएके बतएले रहलन l कार्यक्रम के सम्बोधन करईत सदभावना पार्टीके केन्द्रिय सदस्य युवा नेता योगेन्द्र राय यादव अखनी पुरे मधेशीसबके लेल करु या मरु के अवस्था आएल बतएले छत् l इहे मस्यौदा संबिधान के रुपमे लागु कएल गेला पर मधेश आ मधेसी सय वर्ष पिछे परे के बतएलन l हुन् मधेशी के भाषा , पहिचान ,जमिन ,प्रतिष्ठा आ वंश पर षड्यन्त्र पुर्वक हमला भेल कहईत अब मधेशमे विद्रोह होएके आ उ विद्रोह निर्णायक होएके बतएलन l येहिना नेपाल सदभावना पार्टी के केन्द्रिय अध्यक्ष अनिल कुमार झा अखनी पूरान गल्तिसब भुलाके बृहत आन्दोलनके जरुरि रहल बतएले छत् l कार्यक्रम के सम्बोधन करईत नेता अनिल झा शासक वर्ग सब मध्य रातमे मधेसके भुमिके चिर हरण करईत टुक्रा टुक्रा कएले कहईत अब मधेस मे होएबाला विद्रोह से राज्य के झुकाबेके बतएलन l मधेश वादी दल सबमे देखल गेल फुट उपर लक्षित कके हुन् गाँव दुबल जाए सिमान ला मारामारी करे जईसन न कके अधिकार सम्पन्न मधेश निर्माण मे अपने सब प्राण के मोह छोड के निकलल बतएलन l कार्यक्रम मे नागरिक समाज के विजय किशोर झा ,पत्रकार प्रेमचन्द्र झा नेता सब अनिल सिंह ,राजकुमार दास ,शम्भु सुप्रिम समेत के लोग लोग अपन अपन मन्तव्य व्यक्त कएले रहलन l येही बीच सनिचरके रातमे भेल प्रादेशीक आ नागरिकता सहितके चार दलके सम्झौता मधेश और मधेशी विरुद्ध रहल कहईत् मधेशी मोर्चाके कार्यक्रता सव सम्झौता पत्र जरएले हए । एतवारके दिनके करिव ३ बजेके समयमे मधेशी विरोधी सम्झौत खारीज कर नारावाजी करईत् जिल्ला प्रशासन कार्यालय रौतहटके अगाडी मोर्चाके नेता कार्यक्तासव सम्झौता पत्र जलएले हए । उक्त कार्यक्रममे बोलईत् तराई मधेश लोक्तान्त्रीक पार्टी नेता अनिल सिंहले सनिचरके रातमे भेल सम्झौत मधेशी विरोधी रहल कहईत विरोध स्वरुप आजु हमनी ई सम्झौता पत्रके जरएले साथे मधेशी विरोधी मसयौदाके विरोधमे अपन अधिकार स्थापीत करावेवाला हरके मधेशीके ई मधेशी अधिकारके आन्दोलमे सहयोग करेला समेत आग्रह कएले रहलन । येहिना दोसर नेता सदभावना पार्टीके योगेन्द्र राय यादव अव मधेशी, दलित, मुस्लीम, पिछडल वर्गके अपन अधिकार प्राप्तीके लेल आन्दोलनके विकल्प नरहल बताएलन ।

No comments:

Post a Comment