Tuesday, July 7, 2015

जिल्ला के पचरुखी मे ब्लेड से घेंट काट के कएल गेल महिला के हत्या


चंचल कुमार झा
 रौतहट / असार २१ / रौतहट जिल्ला के गाविस पचरुखी वार्ड न २ मे एगो महिला के विभत्स हत्या कएल गेल हए l ब्लेड से घेंट काटके हत्या कएल गेल अवश्था मे गाविस पचरुखी वार्ड २ निवासी २८ वर्षीय रन्जु देवी ठाकुर के लास बरामद भेल हए l गाविस पचरुखी वार्ड २ छतौना टोला निवासी बलि ठाकुर हजाम के घरवाली रन्जु देवी ठाकुर के ब्लेड से घेंट रेतके हत्या भेल हए l घर के सदस्य सब हि मिलके रन्जु देवी ठाकुर के हत्या कएले प्रहरी जनएले हए i घटना बाद परिवार के सभे लोग फरार भेल हए l घटना के बारेमे रन्जु देवी ठाकुर के नईहर सर्लाही जिल्ला के बहादुरपुर् खबर कएल गेल आ फरार परिवार के लोग के खोजि हो रहल जिल्ला प्रहरी कार्यलय रौतहट गौर जानकारी देले हए l

No comments:

Post a Comment