Sunday, July 5, 2015

डाक्टर के लापरवाही के चलते १ गोरे के मृत्यु , पकराएल डाक्टर

चंचल कुमार झा
 रौतहट l असार १९ l रौतहट जिल्ला मे डाक्टर के लापरवाही के चलते एक गोरे के जान गेल हए l मिलल जानकारी के अनुसार रौतहट जिल्ला के गाविस भलोहिया मे झोरा छाप डाक्टर के चलते एक गोरे मृत्यु भेल हए l रौतहट जिल्ला के चर्चित पिपरा बजार पर लग भग २५ वर्ष से आयुर्वेदिक क्लिनिक संचालन करईत आएल भारत के बिहार के सीतामढी निवासी रवि अहमद के क्लिनिक मे ईलाज कराबे गेल गाविस भलोहिया वार्ड न २ निवासी ५० वर्षीय रफिक मिंया के ईलाज के क्रम मे मृत्यु भेल हए l मरेजी रफिक मिंया के डाक्टर रवि अहमद इन्जेक्सन देला बाद हुनकर जान गेल स्थानीय बासी बतएले हए l क्लिनिक मे ईलाज कराबे गेल रफिक मिंया के मृत्यु भेला बाद पक्राउ कएल गेल हए l

No comments:

Post a Comment