Saturday, September 20, 2014

बज्जिकामे गीत गाबेके सहनीके चाहना

सञ्जय साह मित्र
गरुडा÷नेपाली चलचित्रके गायकके रुपमे अप्पन स्थान बनारहल रौतहटके रंजित कुमार सहनीके अपना मातृभाषामे गीत गाबेके चाहना रहल हए । रौतहटके गेडहीगुठीके स्थायीबासी गायक सहनी नेपाली चलचित्र आ आधुनिक नेपाली गीतके नयाँ उदीयमान गायकके रुपमे देखल जाइता । नेपालके वरिष्ठ संगीतकार शम्भुजीत बास्कोटाके साथ भी हालहीमे गीत गाचुकल सहनीके अप्पन मातृभाषा बज्जिकामे गीत गाबेके चाहना रहल हए । गोरखापत्र नयाँ नेपालके बज्जिका पृष्ठ संयोजक संजय साह मित्रसे बातचित करइत सहनी दोसरका भाषामे गीत–संगीतके विकास होरहल देखके अपनो भाषामे भी कुछ करेके चाहना रहल बतएले छत । दर्जनसे बेसी नेपाली फिलिममे गीत गएले आ विभिन्न राष्ट्रिय गायन प्रतियोगितामे पुरस्कृत भेल सहनीके एलबम भी निकलल हए । सहनी अपना मातृभाषामे गाबेके चाहना जल्दिए पूरा होएके विश्वास भी व्यक्त कएले छत । 

No comments:

Post a Comment