Saturday, September 20, 2014

बज्जिका अभियान जरुरी ः पूर्वसभासद यादव

सञ्जय साह मित्र
गरुडा÷बज्जिका भाषाको विकासके लेल अभियान चलानाइ जरुरी रहल पूर्वसभासद कृष्णप्रसाद यादव बतएले छथिन् । नेपाली कांग्रेस रौतहटके सभापतिसमेत रहल पूर्वसभासद यादव हर गाँओमे मातृभाषा बज्जिकाके विषयमे सजगतापूर्वक जागरण अभियान चलानाइ आवश्यक भेल बतएलन् । गोरखापत्र नयाँ नेपाल बज्जिका पृष्ठ संयोजक सञ्जय साह मित्रसे बातचित करइत यादव बज्जिका अपना क्षेत्रके सबसे पुरान भाषा रहल आ ए भाषाके सम्बन्ध अपना संस्कृतिसे जुटल होएलासे भाषाके विकासके साथे संस्कृतिके जागरणके लेल सभीके लगनाइ महत्त्वपूर्ण रहल बतएलन् । अपना मातृभाषाप्रति सचेत हरेक युवा, शिक्षित नागरिक, शिक्षक, पत्रकार, समाजसेवी–राजनीतिकर्मी लोगके अपना तरपसे होसकेवाला योगदान देबेसे पछाडि नपरेके समय आएल कहइत यादव दोसरा भाषाके तुलनामे बज्जिकाके विकास नहोनाइ अपनेआपमे दुःखद पक्ष रहल बतएलन् । पहिल संविधानसभामे मातृभाषा बज्जिकामे शपथ लेबेबाला पहिल आ एकमात्र सभासद रहल यादव बज्जिकाके विकास नहोएमे बज्जिका जागरण नहोनाइ ही प्रमुख कारण रहल बतबइत अबके समयमे इस्कुलसे लेके कलेजतक आ सभी वर्गसहित समाजके लोग मातृभाषाके सेवाके लेल आवाज उठाबेके जरुरी रहल बतएलन् । वर्तमान अवस्थामे बज्जिकाके ओर ध्यान नदेलापर मातृभाषा आउरो पछुआइते जाएके कहइत पूर्वसभासद यादव उपयुक्त समयपर उपयुक्त कदम चलनाइ बहुत महत्त्वपूर्ण रहल सलाह भी देलन् । अब बज्जिकाके विकासके लेल संगठित कदम उठाबेके प्रयास भी करनाइ आ सभीके साथ लेके चलनाइ भी बज्जिका विकासमे बहुत लमहर कदम होएके बतएलन् ।

No comments:

Post a Comment