Monday, June 29, 2015

सात परीक्षार्थी निष्काशित

रौतहटके विभिन्न केन्द्रसे स्नातक तहके सात परीक्षार्थी निष्काशित भेल हए । त्रिभुवन विश्वविद्यालयसे आएल निरीक्ष्ँण टोली जनज्योति बहुमुखी क्याम्पस केन्द्रसे पांच जने आ मध्यरौतहट बहुमुखी क्याम्पस गरुडा केन्द्रसे दू जने मिलाके सातजने परीक्षार्थीके निष्काशित कएले हए । स्नातक तहके तिसरका वर्षके त्रिभुवन विश्वविद्यालयद्वारा लेल जारहल वार्षिक परीक्षामे अमर्यादित क्रियाकलाप कएलाके चलते टोलीद्वारा परीक्षासे निष्काशित कएलगेल हए । जनज्योति बहुमुखी क्याम्पस केन्द्र चन्द्रपुरसे निष्काशित होएबालामे ओम कलेज सन्तपुरके ३ जने, दुधियवा क्याम्पसके २ जने आ मध्यरौतहट बहुमुखी क्याम्पस गरुडा केन्द्रसे निष्काशित होएबालामे जनज्योति बहुमुखी क्याम्पस चन्द्रपुरके २ जने रहल हए ।

No comments:

Post a Comment