Monday, June 29, 2015

रौतहटके रिजल्ट घटल

रौतहटमे एसएलसी परीक्षाके रिजल्ट घटल हए । एसएलसी परीक्षा २०७१के रिजल्ट अएलाके बाद राष्ट्रिय रिजल्टके तुलनामे रौतहटके स्थानीय रिजल्ट बहुत कम देखलगेल हए । देशके समग्र रिजल्ट ४७.४३ प्रतिशत रहलापर भी रौतहटके रिजल्ट ३१.६६ प्रतिशत रहल देखलगेल हए । जिलामे सहभागी छओ हजार दू सय चौतीस परीक्षार्थीमध्ये एक हजार नौ सय चौहत्तर परीक्षार्थी मात्रे एसएलसी पास होएलासे जिलाके रिजल्ट राष्ट्रिय रिजल्टके तुलनामे बहुते कम देखलगेल हए । जिलामे ९६ जने परीक्षार्थी विशिष्ट श्रेणीमे पास भेल आ विशिष्ट श्रेणीमे पास भेल अधिकांश परीक्षार्थी बोर्डिङओरके ही रहल देखलगेल हए । जिलाके सरकारी स्कुलमे सबसे बेसी जुद्ध उच्च माध्यमिक विद्यालय गौरसे तीनजने परीक्षार्थी विशिष्ट श्रेणीसे उत्तीर्ण भेल हए ।

No comments:

Post a Comment