Monday, June 29, 2015

ट्राफिक सचेतना कार्यक्रम

राजेशबर पाण्डेय 
गरुडा
  रौतहटके गरुडामे एक दिवसीय ट्राफिक सचेतना कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए । ग्रामीण शिक्षा विकास नेपालद्वारा गरुडा नगरपालिकाके सहयोगमे उच्च माध्यमिक विद्यालय गरुडाके माध्यमिक तहके विद्यार्थीके लेल एक दिवसीय ट्राफिक सचेतना कार्यक्रम कएलगेल हए । आयोजक संस्थाके अध्यक्ष जयप्रकाश यादवके अध्यक्षता आ विद्यालयके सहायक प्रधानाध्यापक राम एकबाल पटेलके प्रमुख आतिथ्यके साथे गरुडा नगरपालिकाके प्रतिनिधि अर्जुन यादवके उपस्थितिमे सम्पन्न कार्यक्रममे जिला ट्राफिक कार्यालय रौतहट गौरके सई जटाशंकर सिंह विद्यार्थीके ट्राफिक सचेतना विषयपर तालिम देले रहलन् । तालिममे करिब एक सय विद्यार्थीके सहभागिता रहल रहे ।

No comments:

Post a Comment