Monday, September 8, 2014

भन्सारके उच्चस्तरीय कर्मचारीके मिलोमतोमे सोना चाँदीके घोटाला

रौतहट, भादो । रौतहट जिल्लाके मुल नाग गौर भन्सार कार्यालयके कर्मचारीके मिलोमतोमे सव दिन खुल्याम ह्वाईट तस्करी होइत ही आएल हए लेकिन अव उच्चस्तर कर्मचारीके मिलोमतोमे पक्राएल साृना चाँदीमे व्यापक हिनामिना होइत आएल सामाचार प्राप्त भेल हए । 
भारतसे नेपाल आ नेपालसे भारतमे अवैधरुपमे लियावे लेजाएके क्रममे भन्सार सुरक्षा कार्ड पडके बुझएले सोना चान्दीके गरगरहनामे भारी घोटला होईत आएल कार्यालय श्रोत जनएले हए । वितल आसिन २० गतेके दिन सोनाके गरगहना पक्राउ परल परिमाण से घट्टाके गौर भन्सार कार्यालय गौरके प्रमुख राजेन्द्र हमाल नेपाल राष्टू बैकमे बुझएले समाचार स्रोतके दावी रहल हए । 
इहे विच कतिक ४ गतेके दिन पक्राउ परल सोना चाँदीके गरगहनामे समेत अनियमितता भेल बतावल गेल हए । फागुन ३ गतेके दिन पक्राएल चाँदीके गरगहना आ चईत २८ गते पक्राएल चाँदीके गरगहनामे कार्यालय प्रमुख हमाल असल सोना चाँदीके सटा मिसावल कम असल  सोना चाँदीके गर गहना नेपाल राष्टू बैकमे बुझएले आरोप उहे कार्यालयके एक जने कर्मचारी नाम नबतावेके शर्तमे बतएले हए । पक्राएल सोना चाँदीके                गरगहनाके गौर भन्सार कार्यालयके हाकिम भादो ११ गतेके दिन नेपाल राष्टू बैकमे बुझावे लेगेल गौर भन्सार कार्यालयके खरदार गँगा बहादुर बतएलन । 
३८.६० ग्राम सोनाके  गरगहना ,२२.२२० ग्राम सोनाके गरगहना ,३.१४४ कीलो  चाँदीके गरगहना ,६६८ ग्राम चाँदीके गरगहना ,७७० ग्राम चाँदीके गरगहना कार्यालय प्रमुख ही बैकमे बुझावे लेगेल  खरदार बहादुर बतएलन । इ सम्वन्धमे कार्यालय प्रमुख हमालसाथे सम्पर्क करेके खोजलावाद  काठमाण्डु गेलासे सम्र्पक होए नसकल ।

No comments:

Post a Comment