Saturday, April 25, 2015

किसानके आन्दोलन भेल थप

रौतहट÷ उखके मूल्य भुक्तानीके माग करइत आन्दोलन कररहल उखु उत्पादक संघ रौतहट गरुडास्थित श्रीराम सुगर मिल्सके सम्पूर्ण निकासी आ पैठारी बन्द करएले हए । बुधके साँझमे वीरगंजमे मिल व्यवस्थापन आ संघबीच भेल वार्ता बिना कौनो निष्कर्ष समाप्त होएलाके बाद संघ मिलके स्पिरिट लगायतके सम्पूर्ण उत्पादन पेठाबेके आ बाहरसे कुछो लेआबेपर आजुसे बन्द करएले अध्यक्ष अशोक प्रसाद यादव जानकारी करएले छत । उद्योगके मूल गेटमे पहिलहिए ताला लगएले संघ किसानके रकम भुक्तानीके लेल थप आन्दोलन करेके भी तैयार रहल अध्यक्ष यादव बतएले हए । गत वर्षके करिब २२ करोड आ एई सालके करिब एक अर्ब रुपैया बाँकी रहल अवस्थामे किसानके पैसा मागेके लेल आन्दोलनके कौनो विकल्प नरहल यादवके कहनाम हए ।

No comments:

Post a Comment