Sunday, June 14, 2015

खुल्याम तस्करी असई महिन्द्र यादवके नेतृत्वमे

दिनेश संगम
गौर, जेष्ठ ३१/महाभुकम्प आ राजनितिक तरलताके फाईदा उठवई अभि रौतहटमे खुल्याम तस्करी होरहल समाचार प्राप्त भेल हए । समाचार श्रोतके अनुसार रौतहटके प्रमुख नाका गौर भन्सार होईत खूल्याम रुपमा विभिन्न प्रतिवन्धी सर समानके तस्करी होरहल देखल गेल हए । 
सुरक्षाके लेल खटावल गेल गौर भन्सार सुरक्षा गार्ड नेपाल प्रहरी आ शसस्त्र प्रहरीके मिलोमतोमे हरेक रातमे भारी मात्ररामे गौर से बैरगनिया और बैरगनियासे गौर विभिन्न सरसमानके तस्करी होरहल स्थानिय राजिनन्द महतोके दावी रहल हए  । गौरसे होरहल तस्करी नेपाल प्रहरीके गौर भन्सार चौकीके असई महिन्द्र यादवके नेतृत्वमे होरहल श्रोतके दावी रहल हए । हरेक दिन कसईली, इलाईची, रेडिमेड कपडा, चपल, जुता लगाएत औरो सरसमानके तस्करी होरहल जेसे लाखो रुपया राजश्व उठे नसकल हए । तस्कर सवसे असई महिन्द्र यादव अपने लाखो रुपया उठा रहल समाचार श्रोतके कहनाम रहल हए । ए सम्बन्धमा असई महिन्द्र यादवसे सम्पर्क कएला पर सम्पर्कमे आवे नसकल हए । 

No comments:

Post a Comment