Monday, May 18, 2015

साक्षरता अभियानमे वाटवारा

दिनेश संगम/रौतहट 
                  रौतहट जिल्लाके पुर्ण साक्षर बनावेके उद्देश्यसे संचालनमे रहल  साक्षरता अभियानके जिल्ला शिक्षा कायालय रौतहट बाटवारा कएले समाचार प्राप्त भेल हए । जिल्लामे संचालित अनौपचारिक शिक्षा कार्यक्रममे पढावेवाला शिक्षाके कोटा वाटवारा कएले हि रहल विरोध होइते रहल समय फिरसे निरीक्षण करेवाला  निरीक्षकके नियूक्ति कोटामे जिल्ला शिक्षा कार्यालय मनोमानी तरिकारसे कएले आरोप लागएले हए । नेपाल सरकार तोकले मापदण्ड पुरा ही नकरके जिशिका जथाभावी ढंगसे कमिसनके लोगम कोटा बाँटवारा कएले देखल गेल हए । 
राष्ट्रीय साक्षरता अभियान अन्र्तगत संचालित साक्षरता कार्यक्रमके निरीक्षण करेकेले जिल्ला शिक्षा कार्यालय अलगएले  निरीक्षक कोटामे शिक्षा मन्त्रालय तोकले मापदण्द विपरित काम कएले हए । निरीक्षक नियूक्ति कएला पर  दक्ष आ अनुभवी निरीक्षक राखेके प्रावधान रहल पर भी कार्यालय आपना ढंगसे कमिसनके लोभमे परके बाँटफाँट करके साक्षरता अभियानके कागजमे हि सिमित राखकेके योजना रहल देखल गेल हए । अभियान संचालनके लेल सुरुमे संस्था चयनमे भी जिशिका अनियमितता कएले आरोप लागईत आरहलापर भी निरीक्षक नियूक्तिमे भी अपने खुशी कएले हए । 
जिल्ला शिक्षा कार्यालय ५ सय ९४ गो निरिक्षक कोटामे ७३ गो गाविसके एक एक विद्यालयसे ३ जने करके २ सय १९ जने, ७३ गो गाविसमे २ जने प्रहरी करके  १ सय ४६ जने, २७ गो गैर सरकारी संस्थासे ३ जने करके  ८१ जने, निजामती कर्मचारी ५० जने आ पत्रकार महासंघमे ५० जनेके कोटा बाँडल गेल हए ।  
एने पत्रकार महासंघ शाखा रौतहट अपना भागमे आएल कोटा, कोटा बाँडफाँडमे जिल्ला  शिक्षा कार्यालय मनोमानी कएले कहईत आ  जिल्ला शिक्षा कार्यालयके अईसन चरित्रके कारण रौतहटमे ई अभियान असफल होएके देखल गेलासे कोटा फिर्ता कएले महासंघके अध्यक्ष शैलेन्द्र गुप्ता बतएलन  । जिशिका पत्रकारसवके निरीक्षकके रुपमे साक्षी राखके अपना मनपरि करेके खोजले अध्यक्ष गुप्ता आरोप समेत लगएलन ।   
ओइसही सर्वसाधारणके सुरक्षा देवेकेले राखले गेल प्रहरीके कार्यक्रममे निरीक्षकके रुपमे नियूक्ति करके नमिलेके भेलापर भी  जिल्ला शिक्षा कार्यालय नियूक्तिके कोटा अलगावल गेल हए । साथे ऐके समयमे निजामती कर्मचारी दू जगहमे काम करेके नमिलेके भेलापर भी निजामती कर्मचारीके लेल ५० गो कोटा अलगावल गेल हए । 
साक्षरता अभियान अन्र्तगत वितल वरिस रौतहटके राजपुर फरहदवा, औरैया, धरहरी लगाएत १२ गो गाविसमे कार्याक्रम संचालन कएल गेल रहे । लेकिन उ कार्यक्रम कागजमे ही सिमीत रहल देखल गेल हए । साक्षर घोषणा कर चुकल गाविससवमे अभिभि निरक्षकसव रहल देखल गेल हए । 
ई वर्ष जिल्लाके ७३ गो गाविसमे साक्षरता कार्यक्रम संचालन कएल गेल हए त कार्यालयके निरीक्षण करेकेलेल पाँच साय ९४ जने निरिक्षक नियूक्ती कएल गेल जिल्ला शिक्षा कार्यालय जनएले हए । 
ई सम्बन्धमे कार्यालयमे श्रोत व्यक्ति नन्दकिशोर गुप्ता जिल्ला शिक्षा कार्यलय कओनो मनोमानी नकएले आ सव नियुक्ती कोटासव नियम कानुनके आधारमे कएले हए बताएलन ।

No comments:

Post a Comment