Sunday, June 28, 2015

डि.आई.जि. द्वारा कएल गेल हए अनुगमन

मध्य रौतहटके बिच भागमे रहल एक मात्र प्रहरी स्कुल मध्य क्षेत्रीय प्रहरी आवसीय माध्यमिक विद्यालय बसविट्टी जिंगडियामे अनुगमन कएल गेल हए । मध्यक्षेत्रीय प्रहरी कार्यालय हेटौंडाके डि.आई.जि. देवेन्द्र सुवेदीके नेतृत्वमे आएल निरीक्षण टोलीमे नारायणी अंचलके एसएसपि, जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटके एसपि,  इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडाके  इन्सपेक्टर लगायतके लोग रहल रहे ।  अनुगमनके क्रममे विद्यालयमे उपस्थित विद्यार्थी, शिक्षक वर्गसे वातचितके क्रममे २०७१ सालके एस.एल.सि परीक्षमे प्राप्त कएले सत प्रतिसत नतिजाके देखइत सम्पूर्ण विद्यार्थी आ शिक्षक वर्गके धन्यवाद देले रहलन । साथै यि स्कुल प्रहरीके स्कुल होएलाके बाबजुद ग्रामीन क्षेत्रके विद्यार्थीसबके बाहुल्यता बहुत आ विद्यालय प्रति अभिभावक सबके विद्यालयप्रतिके चिन्तन आ मनन देखला से अगामी दिनमे भि अइसने नतिजा लेआवेमे सफल होएके बात बतबइत अग्रीम बधाई देले छत् ।

No comments:

Post a Comment