Sunday, June 28, 2015

आंख स्वास्थ्यसम्बन्धी जनचेतना

नेपाल नेत्रज्योति संघ रौतहट शाखाके आयोजनामे रौतहटके गरुडामे आंख स्वास्थ्यसम्बन्धी एक दिवसीय जनचेतना कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए । सन २०२०के अन्ततक नेपालसे अन्धापनके हटाबेके लेल जनचेतना अभियानअन्तर्गत संघके रौतहट अध्यक्ष्ँ दुर्गाप्रसाद यादवके अध्यक्षतामे गरुडास्थित स्वास्थय चौकीमे सम्पन्न कार्यक्रममे १४ जने महिलासहित २८ जनेके सहभागिता रहल रहे । कार्यक्रममे सहभागी सबके गौर आंख अस्पतालके नेत्र अधिकृत रामचन्द्र प्रसाद पासवान, नेत्र अधिकृत विपिन साह आ प्रशिक्षक सत्येन्द्र पान्डेलगायतके लोग आंखके बेमारीके साथे बचाव आ उपचारके विषयमे जानकारी करएलन् । सामुदायिक विकास समाज नेपालके अध्यक्ष पंकज कुमार जयसवाल, स्वास्थ्य चौकी प्रमुख राम प्रकाश साहलगायतके लोगके भी उपस्थितिमे सम्पन्न कार्यक्रममे नेपालमे अढाई लाखसे बेसी लोग अन्धापनके सिकार बनल जेमेसे करिब साठ प्रतिशत तराई क्षेत्रमे रहल जानकारी कराबलगेल हए ।
सम्पन्न भेल हए मोतियाविन्द के शिविर गरुडा नगरपालीका अन्तर्गतके सामुदायिक विकाश समाज नेपालके आयोजना, गौर आंखा अस्पतालके सहयोग आ गरुडा नगरपालीकाके सहकार्यमे मोतियाविन्दुके शिविर सम्पन्न भेल हए । गरुडा नगरपालीकाके स्वास्थ चौकी रहल भवनमे शिविर संचालन भेल रहे । स्वास्थ चौकीके प्रमुख राम प्रकाश साहके अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल रहे । कार्यक्रममे आयोजक संस्थाके अध्यक्ष पंकज कुमार जयसवाल, रा.प्र.पा.के प्रतिनिधी नवल किसोर यादव, नेपाली कांग्रेशके प्रतिनिधी तथा पूर्व गा.वि.स. उपाध्यक्ष रामकृष्ण चौधरी आ एच.ए. शिवपुजन राय यादवके उपस्थिती रहल रहे । कार्यक्रममे गौर आंखा अस्पतालके नेत्र अधिकृत शम्भु पासवानके नेतृत्वमे आएल १० सदस्यी टोली ३५० जना आंख रोगी विरामीके चेक जांच कएले रहलन । चेक जांच कएल गेल विरामी मध्ये १४६ जना पुरुष आ १५४ जना महिला रहल रहे । चेक जांचके क्रममे १२५ जना मोतियाविन्दके रोगी भेटल संस्थाके सचिव रामवालक साह जानकारी करएलन । आंख शिविर संचालनके क्रममे स्वास्थय चौकीके सम्पूर्ण स्वास्थकर्मि तथा सामुदायिक विकाश समाज नेपालके सम्पूर्ण पदाधिकारी सबके सहयोग कएले संस्थाके सदस्य कुन्दन साह जानकारी करएले रहलन ।

No comments:

Post a Comment