Sunday, June 28, 2015

गरुडामे छापामारी

रौतहटके गरुडामे नेपाल प्रहरीद्वारा दुगो दोकानमे छापामारी कएलगेल हए । गरुडाके रौतहट साइबर आ जनक पुस्तक दोकानमे छापामारी कके इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडा तीन थान कम्प्युटर नियन्त्रणमे लेले हए । जिलाके विभिन्न स्कुलमे कम्प्युटरके चोरी भेल आ चोरीके कम्प्युटर दोकानमे रखले अति गोप्य सूचनाके आधारपर दुनु दोकानमे छापामारी कएलगेल आ तीनगो कम्प्युटर बरामद कएलगेल इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडाके इन्स्पेक्टर सन्तुलाल जैस्बार जानकारी करएले   छत । कुछ दिन पहिले जय किसान उच्च माध्यमिक विद्यालय धरहरी आ सरस्वती उच्च माध्यमिक विद्यालय खेसरहियासे कम्प्युटर चोरी भेल रहे । अइसही कटहरियास्थित जनता उच्च माध्यमिक विद्यालयसे भी गत साल कम्प्युटर चोरी भेल रहे । गरुडासे बरामद भेल कम्प्युटरके विषयमे छानबिन होरहल इन्स्पेक्टर जैस्बार जानकारी करएले छत ।

No comments:

Post a Comment