Sunday, June 28, 2015

अभिमुखीकरण कार्यक्रम सम्पन्न

चन्द्रपुर नगरपालिकाके सहयोगमे जनसेवा नेपालद्वारा मंगलपुरमे बालमैत्री स्थानीय शासन सम्बन्धी एक दिवसीय अभिमुखीकरण कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए । बालबालिका तथा अभिभावक समेतके लेल आयोजित सचेतना कार्यक्रममे स्थानीय विभिन्न राजनीतिक दलके प्रतिनिधिसहित एक सय दश जनेके सहभागिता रहल रहे । बालबालिकाके लेल प्रँप्त अधिकार र बजेटके बालबालिकाके ही हितमे खर्च होनाइ महत्वपूर्ण रहल लोगके कहनाम रहल रहे । बालबालिकाके महसुस होएबाला किसिमसे स्थानीय शासन होनाइ भी महत्वपूर्ण रहल सहभागीलोगके कहनाम रहे । गोविन्द रामद्वारा संचालन कएलगेल कार्यक्रममे बालबालिकाके हकहितके विषयमे आयोजक संस्थाके कार्यक्रम संयोजक भाग्यनारायण महतो विशेष चर्चा कएले रहलन ।

No comments:

Post a Comment