Monday, June 29, 2015

एक परीक्षार्थी सात कर्मचारी

राजेशबर पाण्डेय 
गरुडा
 त्रिभुवन विश्वविद्यायके चलरहल स्नातक तहके तिसरका बरिसके परीक्षामे सोमवारके विषयमे रौतहटके एगो केन्द्रपर एकजने मात्र परीक्षा देले हए । मध्यरौतहट बहुमुखी क्याम्पस गरुडा केन्द्रपर राजनीतिशास्त्र विषयके परीक्षामे एकजने परीक्षार्थी मात्र सम्मिलित भेल हए । जनज्योति बहुमुखी क्याम्पस चन्द्रपुरसे नियमित विद्यार्थीके रुपमे शिवनारायण साह अकेले परीक्षा देले आ एकजने परीक्षार्थीके लेल सातजने कर्मचारी खटल रहे । एकजने परीक्षार्थीके लेल केन्द्राध्यक्ष, सहायक केन्द्राध्यक्ष, प्रहरी आ प्रशासनिक कर्मचारी मिलाके सातजने कर्मचारी रहल जानकारी प्राप्त भेल हए ।
 

No comments:

Post a Comment